शिव, मधुबनी पेंटिंग शैली
शिव, मधुबनी पेंटिंग शैली

गीत के बोल

छोटी-मोटी टुटली मड़ैआ मे गौरी दाइ
छोटी-मोटी टुटली मड़ैआ मे गौरी दाइ, कोना कऽ रहथिन हे -2

गौरी हमर छथि बड़ सहलौला, कोना कऽ पिसथी भाङक गोला -2
हाथो मे...
हाथो मे पड़ि जैतनि लोड़ही के ठेला, रानी कोना कऽ पिसती हे -2
छोटी-मोटी टुटली मड़ैआ मे गौरी दाइ, कोना कऽ रहथिन हे।

भोला के दू धुर आकक बाड़ी, पित्तो नहि कएलनि खेती-पथारी -2
धियापुता...
धियापुता के पेट भऽ गेल बखारी रानी, कोना के भरथिन हे -2
छोटी-मोटी टुटली मड़ैआ मे गौरी दाइ, कोना कऽ रहथिन हे।

अपने महादेव भेला मसानी, के देत बसहा के गूड़ा ओ सानी -2
पड़ि गेल...
पड़ि गेल गौरी के भारी बिपति रानी, कते दुःख कटथिन हे -2
छोटी-मोटी टुटली मड़ैआ मे गौरी दाइ, कोना कऽ रहथिन हे।

भनहि विद्यापति सुनू हे मनाइन -2
त्रिभुवनपति भण्डारी के सङ्ग रानी, हँसी-खुशी रहथिन हे -2
छोटी-मोटी टुटली मड़ैआ मे गौरी दाइ,
कोना कऽ रहथिन हे -3

पूरे बोल देखें

गाने का विवरण

इस गीत को मैथिली साहित्य और कविता में महेशवानी के रूप में वर्गीकृत किया गया है। महेशवानी भगवान शिव की स्तुति में गाया जाता है और मनाइन (मेन्का, गौरी की माता) को संबोधित किया जाता है। यह शिव के जीवन का प्रतिनिधित्व करता है और विशेष रूप से उनकी शादी का।

और गाने

रजनी-पल्लवी

मिथिला मधुबनी चित्रकला में हिरण संग नारी

आयल चैत मधुर रंग पाँचम

रजनी-पल्लवी

शयन करते गणेश- मधुबनी चित्रकला शैली में

यौ गजानन गणपति

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला शैली में हनुमान का चित्र

कानि कानि कहथिन सीता

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला — वर की आरती करती हुई महिलाएँ

चलु देखु भरि नयना

रजनी-पल्लवी

विवाह का दृश्य — वर और वधू के हाथ, अनुष्ठान करते हुए

अवध नगरिया सँ

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला, मिथिला का गाँव, महिलाएँ, पक्षी आकृतियाँ

गाम के अधिकारी

रजनी-पल्लवी

जल में खड़ी महिला सूर्यदेव की उपासना करती हुई

कातिक मास बीतल सुकराती

रजनी-पल्लवी

वर वधू की मांग में सिंदूर लगाते हुए — सिंदूरदान

प्रिय पाहुन सिन्दूर दान करू

रजनी-पल्लवी

माँ अपने शिशु को लोरी सुना रही है और पास में दूसरा बच्चा सो रहा है

सतरंगी संसार सँ

रजनी-पल्लवी

हाथ में पान के पत्ते, सुपारी और सिक्का — मिथिला में भैया दूज का अनुष्ठान

लिख रहल छी चिट्ठी भइया

रजनी-पल्लवी

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation
सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया
डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi
Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi