
गीत के बोल
आनन गोटी चानन गोटी,
बउआ खेतइ दुधे रोटी ।
आनन गोटी चानन गोटी,
बउआ खेतइ दुधे रोटी ।
सुग्गा मैना मित लगौतइ,
गुटूर-गुटूर परबा बतियौतइ,
हाँ ...गुटूर-गुटूर परबा बतियौतइ ।
सतरंगी संसार सँ, भानुमति के पिटार सँ - 2
नहुँए-नहुँए निनिआँ निकलल - 2
डोलिया कहार सँ - 2
पवन बसंती दइ छइ थपकी,
मौसी बनि उदगार सँ ।
पवन बसंती दइ छइ थपकी,
मौसी बनि उदगार सँ ।
सुत गे चुन्नी, सुत गे मुनिया - 2
निनिआँ कहए दुलार सँ ।
सतरंगी संसार सँ भानुमति के पिटार सँ,
नहुँए-नहुँए निनिआँ निकलल - 2
डोलिया कहार सँ ।
सुनि-सुनि निनिआँ के कनफुसकी,
बन्द पलक आ ठोरक मुसकी ।
हाँ ... सुनि-सुनि निनिआँ के कनफुसकी,
बन्द पलक आ ठोरक मुसकी ।
जुग-जुग जीबू त्रिशित मनाबए - 2
भोलेनाथ उदार सँ ।
सतरंगी संसार सँ भानुमति के पिटार सँ,
नहुँए-नहुँए निनिआँ निकलल - 2
डोलिया कहार सँ - 2
पूरे बोल देखें
और गाने
रजनी-पल्लवी

आयल चैत मधुर रंग पाँचम
रजनी-पल्लवी

यौ गजानन गणपति
रजनी-पल्लवी

कानि कानि कहथिन सीता
रजनी-पल्लवी

चलु देखु भरि नयना
रजनी-पल्लवी

अवध नगरिया सँ
रजनी-पल्लवी

गाम के अधिकारी
रजनी-पल्लवी

कातिक मास बीतल सुकराती
रजनी-पल्लवी

प्रिय पाहुन सिन्दूर दान करू
रजनी-पल्लवी

सतरंगी संसार सँ
रजनी-पल्लवी

लिख रहल छी चिट्ठी भइया
रजनी-पल्लवी
ऐसे और गाने

