कैलाश पर्वत पर शिव और नारद का संवाद
कैलाश पर्वत पर शिव और नारद का संवाद

गीत के बोल

महादेव कहलनि नारद सँ, बिपति पड़ल बड़ भारी - 2
गौरी गोर गौरबे आन्हरि, हम जमुनिया कारी ।
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 2

हमर सबारी बसहा, गौरी राखल अपन शेर - 2
एक झपट्टा मारत, हमर बसहा हेतइ ढेर ।
करए छी चौकीदारी - 2
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 2

हम पहिरने विषधर माला, कार्तिक पोसल मयूर - 2
रखबारी मे जीवन बितल, भेलहुँ झुरकुट बूढ़ ।
केहन हमर लाचारी - 2
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 2

अपन दु:ख के बिसरए खातिर, हम पिबए छी भाङ - 2
हीरा-मोती सोना-चाँदी, पार्वती के माङ ।
भेलहुँ हम भिखारी - 2
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 2

गृह कलह सँ उबि गेलहुँ, नहि भेटल कियो ओर - 2
विद्यापति के भाङ पिसइ छी, मिथिला देलक ठोर ।
कहुना समय गुजारी - 2
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 2

भाङ पिसते देख सुधीरा, सभ दिन भेली आगि - 2
कनेक काज मे देरी भेलइ, क्रोध एहन देल जाड़ि ।
नुकएलहुँ बाड़ी-झाड़ी - 2
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 2

आब कतऽ हम जायब कहू, नहि कतऔ पुछारी - 2
एहन विवाहक कोन प्रयोजन भले रही बह्मचारी ।
बक्शी गाबए नचारी - 2
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 2

महादेव कहलनि नारद सँ, बिपति पड़ल बड़ भारी - 2
गौरी गोर गौरबे आन्हरि, हम जमुनिया कारी ।
नारद बिपति पड़ल बड़ भारी - 3

पूरे बोल देखें

और गाने

रजनी-पल्लवी

मिथिला मधुबनी चित्रकला में हिरण संग नारी

आयल चैत मधुर रंग पाँचम

रजनी-पल्लवी

शयन करते गणेश- मधुबनी चित्रकला शैली में

यौ गजानन गणपति

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला शैली में हनुमान का चित्र

कानि कानि कहथिन सीता

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला — वर की आरती करती हुई महिलाएँ

चलु देखु भरि नयना

रजनी-पल्लवी

विवाह का दृश्य — वर और वधू के हाथ, अनुष्ठान करते हुए

अवध नगरिया सँ

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला, मिथिला का गाँव, महिलाएँ, पक्षी आकृतियाँ

गाम के अधिकारी

रजनी-पल्लवी

जल में खड़ी महिला सूर्यदेव की उपासना करती हुई

कातिक मास बीतल सुकराती

रजनी-पल्लवी

वर वधू की मांग में सिंदूर लगाते हुए — सिंदूरदान

प्रिय पाहुन सिन्दूर दान करू

रजनी-पल्लवी

माँ अपने शिशु को लोरी सुना रही है और पास में दूसरा बच्चा सो रहा है

सतरंगी संसार सँ

रजनी-पल्लवी

हाथ में पान के पत्ते, सुपारी और सिक्का — मिथिला में भैया दूज का अनुष्ठान

लिख रहल छी चिट्ठी भइया

रजनी-पल्लवी

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation
सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया
डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi
Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi