गीत के बोल
हम नइ जीयब बिनु राम जननी - 3
हम नइ जीयब बिनु राम ।
होइत प्रात बोन जाएब - 2
जहाँ भेटथि सीताराम जननी,
हम नइ जीयब बिनु राम ।
कपटी-कपटी नऽ बसु जइ नग्रमे*,
कपटी-कपटी बसथि नग्रमे*,
अग्नि लगाएब ओहि ठाम जननी,
हम नइ जीयब बिनु राम ।
हम नइ जीयब बिनु राम जननी - 2
हम नइ जीयब बिनु राम ।
माता-पिता एक्को कियो नइ सम्बल,
माता-पिता कियो एक्को नइ सम्बल,
केवल सीताराम जननी ।
हम नइ जीयब बिनु राम ।
सूर-नर-मुनि सब अपजश देलनि,-2
देलनि एकहि काम जननी ।
हम नइ जीयब बिनु राम ।
राम-लखन-सिया बन कऽ सिधारल - 2
नृपति तेजल निधाम जननी,
हम नइ जीयब बिनु राम ।
हम नइ जीयब बिनु राम जननी,
हम नइ जीयब बिनु राम ।
पूरे बोल देखें
और गाने
विभा झा

दरदी सजना
विभा झा

मुदा छन मे
विभा झा

एहन सुन्दर मिथिला धाम
विभा झा

यौ नारद कतए बुझा हम कहलौं
विभा झा

हम छी सीता
विभा झा

एहि बाटे भोला गेला
विभा झा

जखने बधइया माँगऽ
विभा झा

सुतल छलीयै बाबा के भवनबा मे
विभा झा

हम नइ जीयब बिनु राम
विभा झा

गौरी पुजू जानकी जनक भवन मे
विभा झा
ऐसे और गाने



