शिव पार्वती, मधुबनी पेंटिंग शैली
शिव पार्वती, मधुबनी पेंटिंग शैली

गीत के बोल

घुमैत-फिरैत गौरी नैहर गेलहुँ तोर
घुमैत-फिरैत गौरी नैहर गेलहुँ तोर,
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।-2

बैसैला देलक गौरी फाटल चटाइ,
हन-हन उड़ीस करै गिनो नइ सकाइ ।-2
टिन के जे लोटा देलनि बिन कोर - 2
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।
घुमैत-फिरैत गौरी नैहर गेलहुँ तोर,
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।

खाइ के की कहब गौरी जुन पुछू बात ये,
कुरथी के दालि देलक कोदो के भात ये ।-2
बक-बक गारा लागए हम आँखि देलहुँ निपोड़ि - 2
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।
घुमैत-फिरैत गौरी नैहर गेलहुँ तोर,
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।

सुतैला देलनि गौरी कोठरी अन्हारी,
ताहि मे बिछाओन कोदो के नारी ।-2
भन-भन मच्छर करै निनो नए भेल मोर - 2
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।
घुमैत-फिरैत गौरी नैहर गेलहुँ तोर,
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।

जनु उकटहुँ शिव कोठरी अन्हारी,
एतऽ कतऽ पाएब महल अटारी ।-2
टूटली मड़ैया पर एतबा टिपोर - 2
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर ।
घुमैत-फिरैत गौरी नैहर गेलहुँ तोर,
एहेन स्वागत कयलनि कि आँखि सँ बहए नोर

पूरे बोल देखें

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation
सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया
डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi
Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi