वृक्ष से टंगा झूला, उस पर राधा–कृष्ण, पास में मोर एवं अन्य पक्षी
वृक्ष से टंगा झूला, उस पर राधा–कृष्ण, पास में मोर एवं अन्य पक्षी

गीत के बोल

हे सखी! .......
हे सखी! सुख हम की कहू,
अछि आयल दिवस महान ।
आइ अयताह निज गृह-पिया,
जे बसथि साँस मन प्राण - 2
आऽ .... आऽ .... आऽ ....

मोनक आँगन मे गुजए मधुर रागिनी,
आइ मधुबन मे अओता सजन ।-2
तन कमलिनी खिलल सुप्त आशा जगल - 2
शीघ्र कान्हा सँ होयत मिलन ।
आइ घुलि गेल सुलभ स्नेह सम्बन्ध मे,
मग्न तन-मन हमर प्रेम आनन्द मे ।
हे कन्हैया! कतय छी नुकायल अहाँ - 2
तीव्र कोमल हृदय के तपन ।
मोनक आँगन मे गुजए मधुर रागिनी,
आइ मधुबन मे अओता सजन ।

नील अम्बर सँ ...... - 2
नील अम्बर सँ टपकय सरस धार जे - 2
छेड़ देलक हमर ओ हृदय तार के ।
नील अम्बर सँ टपकय सरस धार जे,
छेड़ देलक हमर ओ हृदय तार के - 2
नील अम्बर सँ ......
नील अम्बर सँ टपकय सरस धार जे,
छेड़ देलक हमर ओ हृदय तार के ।
गान यमुना के कल-कल धवल चाँदनी,
दिव्य मुरली के धुन आइ लगय दामिनी ।
हे मुरारी! मुरारी .......
हे मुरारी! निकालू विरह जाल सँ,
तप्त कयलक शीतल पवन ।
मोनक आँगन मे गुजए मधुर रागिनी,
आइ मधुबन मे अओता सजन ।

(आलाप)
छल प्रतिक्षा ओ आयल प्रणय के घड़ी - 2
प्राण तन-मन मे कोना आब रहत सखी ।
छल प्रतिक्षा ओ आयल प्रणय के घड़ी,
प्राण तन-मन मे कोना आब रहत सखी - 2
छल प्रतिक्षा ओ आयल प्रणय के घड़ी,
प्राण तन-मन मे कोना आब रहत सखी ।
आब बचब हम कोना नयन के वाण सँ,
श्याम सुन्दर के रूपक नवल चान सँ ।
हे यौ गोविन्द! गोविन्द ......
हे यौ गोविन्द! दर्शन के पियासल नयन,
आब सुधि-बुद्धि रहल नइ अपन ।
मोनक आँगन मे गुजए मधुर रागिनी,
आइ मधुबन मे अओता सजन ।

( आलाप)
कान्ति अद्भूत भृकुटी भव्य पिअर बसन - 2
आइ त्रिलोकी मे दोसर कियो नइ ओहन ।
कान्ति अद्भूत भृकुटी भव्य पिअर बसन,
आइ त्रिलोकी मे दोसर कियो नइ ओहन - 2
कान्ति अद्भूत भृकुटी भव्य पिअर बसन,
आइ त्रिलोकी मे दोसर कियो नइ ओहन ।
कान कुण्डल ओ मुसकैत अधर प्रेम मे,
देखि सौन्दर्य अनुपम पलक नइ हटय।
हे यौ मोहन! मोहन .......
हे यौ मोहन! एतेक आब बेकल नइ करू,
स्नेह संगम के बादल सघन ।
मोनक आँगन मे गुजए मधुर रागिनी,
आइ मधुबन मे अओता सजन ।
गोविन्द ..... गोविन्द .....
हे यौ कन्हैया! कतय छी नुकायल अहाँ।
गोविन्द ..... गोविन्द .....
हे यौ कन्हैया! कतय छी नुकायल अहाँ।
गोविन्द ..... गोविन्द .....
हे यौ कन्हैया! कतय छी नुकायल अहाँ।
कतय छी नुकायल अहाँ - 3
कान्हा ....... ।

पूरे बोल देखें

और गाने

रजनी-पल्लवी

मिथिला मधुबनी चित्रकला में हिरण संग नारी

आयल चैत मधुर रंग पाँचम

रजनी-पल्लवी

शयन करते गणेश- मधुबनी चित्रकला शैली में

यौ गजानन गणपति

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला शैली में हनुमान का चित्र

कानि कानि कहथिन सीता

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला — वर की आरती करती हुई महिलाएँ

चलु देखु भरि नयना

रजनी-पल्लवी

विवाह का दृश्य — वर और वधू के हाथ, अनुष्ठान करते हुए

अवध नगरिया सँ

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला, मिथिला का गाँव, महिलाएँ, पक्षी आकृतियाँ

गाम के अधिकारी

रजनी-पल्लवी

जल में खड़ी महिला सूर्यदेव की उपासना करती हुई

कातिक मास बीतल सुकराती

रजनी-पल्लवी

वर वधू की मांग में सिंदूर लगाते हुए — सिंदूरदान

प्रिय पाहुन सिन्दूर दान करू

रजनी-पल्लवी

माँ अपने शिशु को लोरी सुना रही है और पास में दूसरा बच्चा सो रहा है

सतरंगी संसार सँ

रजनी-पल्लवी

हाथ में पान के पत्ते, सुपारी और सिक्का — मिथिला में भैया दूज का अनुष्ठान

लिख रहल छी चिट्ठी भइया

रजनी-पल्लवी

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation
सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया
डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi
Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi