बारिश, मोर, सुनसान मूड, मधुबनी पेंटिंग
बारिश, मोर, सुनसान मूड, मधुबनी पेंटिंग

गीत के बोल

सखि हे! हमर दुखक नहि ओर - 2
ई भर बादर माह भादर - 2
सून मन्दिर मोर।
सखि हे! हमर दुखक नहि ओर - 2

झम्पि घन गरजन्ति सन्तत,
भुवन भरि बरसन्तिआ।
कन्त पाहुन काम दारुन - 2
सघन खर सर हन्तिया - 2
हमर दुखक नहि ओर।
सखि हे! हमर दुखक नहि ओर -4

कुलिस कत सत पात मुदित,
मयूर नाचत मातिया।
मत्त दादुर डाक डाहुकि -2
फाटि जाएत छातिया –2
हमर दुखक नहि ओर।
सखि हे! हमर दुखक नहि ओर।

तिमिर दिग भरि घोर यामिनी,
अथिर बिजुरी पान्तिया।
विद्यापति कइसे गमाएब -2
हरि बिना दिन-रातिया -2
हमर दुखक नहि ओर।
सखि हे! हमर दुखक नहि ओर।
सखि हे! हमर दुखक नहि,
हमर दुखक नहि, हमर दुखक नहि ओर।


पूरे बोल देखें

और गाने

रजनी-पल्लवी

मिथिला मधुबनी चित्रकला में हिरण संग नारी

आयल चैत मधुर रंग पाँचम

रजनी-पल्लवी

शयन करते गणेश- मधुबनी चित्रकला शैली में

यौ गजानन गणपति

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला शैली में हनुमान का चित्र

कानि कानि कहथिन सीता

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला — वर की आरती करती हुई महिलाएँ

चलु देखु भरि नयना

रजनी-पल्लवी

विवाह का दृश्य — वर और वधू के हाथ, अनुष्ठान करते हुए

अवध नगरिया सँ

रजनी-पल्लवी

मधुबनी चित्रकला, मिथिला का गाँव, महिलाएँ, पक्षी आकृतियाँ

गाम के अधिकारी

रजनी-पल्लवी

जल में खड़ी महिला सूर्यदेव की उपासना करती हुई

कातिक मास बीतल सुकराती

रजनी-पल्लवी

वर वधू की मांग में सिंदूर लगाते हुए — सिंदूरदान

प्रिय पाहुन सिन्दूर दान करू

रजनी-पल्लवी

माँ अपने शिशु को लोरी सुना रही है और पास में दूसरा बच्चा सो रहा है

सतरंगी संसार सँ

रजनी-पल्लवी

हाथ में पान के पत्ते, सुपारी और सिक्का — मिथिला में भैया दूज का अनुष्ठान

लिख रहल छी चिट्ठी भइया

रजनी-पल्लवी

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation
सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया
डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

कॉपीराइट © Khamaaj Foundation | सर्वाधिकार सुरक्षित
नियम और शर्तें | गोपनीयता नीति

विकसित और डिज़ाइन किया गया डोपसोल स्टूडियो

Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi
Khamaaj brand logo in brand rust orange color
Hindi